कुवैत सिटी
कुवैत सिटी (शहर) مدينة الكويت मदीनत एल कुवैत |
|
---|---|
निर्देशांक : २९°२२′११″उ॰ ४७°५८′४२″पू॰ / २९.३६९७२°N ४७.९७८३३°Eनिर्देशाङ्क: २९°२२′११″उ॰ ४७°५८′४२″पू॰ / २९.३६९७२°N ४७.९७८३३°E | |
देश | कुवैत |
राज्य | अल असीमाह |
क्षेत्र | |
• महानगर | 200 किमी2 (80 वर्गमाइल) |
जनसंख्या (2005 अनुमान) | |
• City | ९६,१०० |
• महानगर | २३,८०,००० |
समय मण्डल | EAT (यूटीसी +3) |
कुवैत सिटी (अरबी: مدينة الكويت, लिप्यन्तरण: मदीनत-अल-कुवैत) कुवैतक राजधानी होएके साथ-साथ हिमरके सबसँ पैग शहर सेहो छी । एकरा कुवैतक मुटु सेहो कहैत अछि । एहि शहरमे संसद भवन तथा अधिकांस सरकारी कार्यालयसभ स्थित अछि । देशक राजनीतिक राजधानी होएके साथ-साथ एकरा देशक सांस्कृतिक तथा आर्थिक राजधानी सेहो मानैत अछि । एकर अनुमानित जनसंख्या शहरीय सीमामे ६३,६०० (२००६) आ महानगरीय क्षेत्रमे २३.८ लाख अछि । शहरक क्षेत्रफल २०० वर्ग किलोमीटर अछि ।
ई शहर फारसक खाडी तटमे स्थित अछि आ कुवैतक सम्सद (मजलिस अल-उम्मा), अधिकांश सरकारी कार्यालय, कुवैतक बहुत पैग कम्पनी अत स्थित अछि । निर्विवाद रूपसँ ई कुवैतक राजनैतिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक केन्द्र छी । एहि साथ ई अरब जगतक एक महत्वपूर्ण पर्यटन स्थल सेहो छी । लिबरेशन टावर, कुवैत टावर, नेशनल म्यूजियम, फैलाका द्वीप, इन्टरटेनमेन्ट सिटी, साइन्स एण्ड नेचुरल हिस्ट्री म्यूजियम, लिबरेशन स्मारक, साइन्टिफिक सेन्टर, तारिक रजाब म्यूजियम, बयात अल- बदीर, जूलाजिकल पार्क, सङ्गीतमय फव्वारा आदि हिमरक प्रमुख दर्शनीय स्थल छी ।[१][२][३]
प्रमुख आकर्षण
[सम्पादन करी]लिबरेशन टावर
[सम्पादन करी]ई टावर कुवैतक मुक्ित तथा उसकर पुनरुत्थानका प्रतीक छी । ई विश्वक सबसँ उच्च टावरमध्ये एक छी । ई टावर ३७२ मीटर उच्च अछि । लिबरेशन टावर एफिल टावरसँ ४० मीटर बहुत उच्च अछि । ई टावरक नाम इराकी कब्जासँ मुक्ति पछा देने अछि । ई टावर इमारत सिरेमिक टाइलसँ बनाने अछि ।
कुवैत टावर
[सम्पादन करी]ई कुवैत सिटीक प्रमुख दर्शनीय स्थलमध्ये एक छी । ई टावर दशमनमे अरब सागरक तटमे सिटी सेन्टरक पूर्वमे स्थित अछि । ई टावर १८७ मीटर उच्च अछि ।
नेशनल म्यूजियम
[सम्पादन करी]ई म्यूजियम नेशनल एसेम्बलीको नजिक स्थित अछि । ई म्यूजियम परिसरमे चार भवन तथा एक तारामन्डल अछि । नेशनल म्यूजियममे इस्लामिक कलाक अल सबाह शैलीका सुन्दर सङ्ग्रह अछि । एकर अतिरिक्त एहिमे अरबी शैलीक हस्तशिल्पक सेहो अदभूत सङ्ग्रह अछि । ई म्यूजियममे इस्लामिक शैलीक वस्तुक सेहो प्रदर्शनक लेल राखने अछि । नेशनल म्यूजियमके इराकी आक्रमणकारिया जला देने छल ।
फैलाका द्वीप
[सम्पादन करी]१२ किलोमीटर लम्बाइ ६ किलोमीटर चौडाइ ई द्वीप कुवैत सिटी सेन्टरसँ २० किलोमीटर उत्तर-पूर्वमे स्थित अछि । ई कुवैतक एक प्रमुख पुरातात्विक स्थल छी । ई द्वीपक सम्बन्ध काङ्स्य युगसँ जोडने अछि । ओहि समय अत लोगसभक निवास छल । एहि द्वीपमे ग्रीक आक्रमणकारियासँ अपन बस्ती बबसाने छल । एक प्राचीन मन्दिरक अवशेष प्पाणी देख सकैत अछि ।
इन्टरटेनमेन्ट सिटी
[सम्पादन करी]ई कुवैत सिटीसँ २० किलोमीटर दुरिमे स्थित अछि । ई विश्वक प्रमुख मनोरन्जन केन्द्रमध्ये एक छी । एहि ठाम मनोरन्जनक पूरा बन्दोबस्त अछि। ई सिटी अरब वर्ल्ड, फ्यूचर वर्ल्ड तथा इन्टरनेशनल वर्ल्डरमे तीन भागमे बाड्ने अछि । एकर रेक-देख के. टी. ई. सी. करैत् अछि ।
विज्ञान तथा प्राकृतिक इतिहास सङ्ग्रहालय
[सम्पादन करी]ई साइन्स एण्ड नेचुरल हिस्ट्री म्यूजियम अब्दुल्लाह मुबारक गलीमा स्थित अछि । एहिमे म्यूजियममे प्राकृतिक इतिहास, तेल उद्योग, उड्यन उद्योग, वनस्पति शास्त्र, इलेक्टोनिक्स तथा अन्तरिक्ष सम्बन्धित वस्तुक प्रदर्शित कएल गेल अछि । ई म्यूजियम शनिवारसँ बुधवारतक बिहान आ साझके खुला रहैत अछि ।
लिबरेशन स्मारक
[सम्पादन करी]ई स्माकर कुरेन हाउसिङ्ग क्षेत्रमे स्थित अछि । ई क्षेत्र इराक आ कुवैत बीच भेल युद्धक सबुत छी । आब ई क्षेत्रके स्मारकक रुपमे परिवर्तित कएल गेल अछि । ई स्मारकमे इ युद्ध सम्बन्धित वस्तुके प्रदर्शनीक लेल राखने अछि । एकर बाहेक ई स्मारकमे इराकी आधिपत्यके चित्रक माध्यमसँ प्रदर्शित कएल गेल अछि ।
साइन्टिफिक सेन्टर
[सम्पादन करी]ई मध्य-पूर्वक सबसँ पैग एक्वेरियम छी । एकर निर्माण कुवैत फाउन्डेशन करने अछि । ई एक्वेरियममे समुद्री जीव तथा समुद्रमे पावैवला गाछ-बिरुक्ष प्रदर्शित करैत अछि ।
तारिक रजाब म्यूजियम
[सम्पादन करी]ई एक रजाब परिवारक निजी म्यूजियम छी । ई म्यूजियमक निर्माण कार्य १९५० सँ दशक मे आरम्भ भेल छल । एकरा १९८० मे लोगसभक लेल खोल देने छल । ई म्यूजियम दुई भागमे बाटने अछि । एहिमे माइट वर्तन, सुलेखन, धातु शिल्प, लठ्ठीक हस्तशिल्प, हाथीक वस्तु, सिसाक सामान आदि देख सकैत अछि । ई म्यूजियमक भित्तामे कुरान उकेरा भेल छल । म्यूजियमक दोसर भागमे इस्लामिक शैलीक आभूषण, कपडा आदिके प्रदर्शनक लेल राखने अछि ।
बयात अल
[सम्पादन करी]बदीर: ई एक पुराना भवन छी, जे अल-सादू भवन निकट स्थित अछि । ई इमारतक निर्माण १८३८ ई. सँ १८४८ ई. क बीच भेल छल ।
जूलाजिकल पार्क
[सम्पादन करी]ई पार्क एयरपोर्टक नजिक ओमारियामे अछि । ई पार्क १८०००० वर्ग मीटरमे फैलल अछि । ई पार्कमे जानवरक ६५ प्रकार, पक्षिक १२९ प्रकार तथा ५ प्रकारक रेङ्गने वाला जीव देख सकैत अछि ।
सङ्गीतमय फव्वारा
[सम्पादन करी]ई फव्वारा रिङ्ग रोड १ मे आईस स्केटिङ्ग रिङ्कक छेउमे स्थित अछि । अतके प्रत्येक बेलुमे ६ बजेसँ रात १० बजेतक सङ्गीतमय फव्वाराक शो देखा वैत अछि ।
ई बाहेक कुवैत साइन्स क्लब, सादु हाउस, मस्जिद, पार्क, आर्ट आदि सेहो देख्न सकैत अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Constancy and Change in Contemporary Kuwait City: The Socio-cultural Dimensions of the Kuwait Courtyard and Diwaniyya"। Mohammad Khalid A. Al-Jassar। 2009। p. 64।
- ↑ Bell, Sir Gawain (1983). Shadows on the Sand: The Memoirs of Sir Gawain Bell. प॰ 222. आइएसबिएन 9780905838922. https://books.google.com/books?id=e2LLngEACAAJ&dq.
- ↑ ʻAlam-i Nisvāṉ – Volume 2, Issues 1–2. प॰ 18. https://www.google.com/search?q=kuwait+important+trading+port+pearl+merchants+import+export+goods&btnG=Search+Books&tbm=bks&tbo=1&gws_rd=ssl. "Kuwait became an important trading port for import and export of goods from India, Africa and Arabia."
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे कुवैत सिटीसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- कुवैत सिटी विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी